नेशनल कार रेसिंग चैम्पियन अश्विन सुंदर के पत्नी समेत कार दुर्घटना मे मौत

चेन्नई। 18 मार्च। नेशनल कार रेसिंग चैम्पियन अश्विन सुंदर आओर हुनकर पत्नी निवेदिता केर आय शनिवार भिनसर सड़क हादसा मे मौत भ' गेलैन्ह। बताओल जे रहल अछि कि हुनकर बीएमडब्ल्यू कार एक गाछ से टकरा गेल, जहिसे कर मे आगि लैग गेल छल। अश्विन खुद कार चलबैत छलाह,  एकाएक नियंत्रण बिगड़ला से ई हादसा भेल।

पुलिस केर मुताबिक, हादसा करीब भिनसर 3:30 बजे चेन्नई के पाट्टिनमपक्कम मे भेल। अश्विन आओर हुनकर पत्नी केर मौके पर मौत भ' गेलैन्ह। अश्विन सुंदर के पत्नी निवेदिता एक प्राइवेट हॉस्पिटल मे डॉक्टर छली।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने