यात्रीगण ध्यान दी, 1 जुलाई से ट्रेनकेँ वेटिंग टिकट नहि भेटत, सिर्फ कन्फर्म आओर आरएसी टिकट भेटत

पटना। 16 मार्च। रेलवे एक जुलाई से अपन यात्री आरक्षण सिस्टम मे बदलाव करे जे रहल अछि। रेलवे बोर्डक अधिकारी केर मुताबिक एक जुलाई से तत्काल टिकट क' रद्द करेबा पर आधा पाई वापस भेटत, एखन धरी तत्काल टिकट कैंसिल करेबा पर किछु रिफंड नहि भेटैत छल। 

रेलवे अपन वेटिंग टिकट नीति मे बड़का फेरबदल करैत एक जुलाई से वेटिंग लिस्ट के टिकट नहि देत। सिर्फ कन्फर्म आओर आरएसी टिकट यात्री सभक लेल जारी काएल जायत। ई फैसला आरक्षित कोच सभमे भीड़ कम करबाक लेल काएल गेल अछि। रेलवे बोर्ड के अधिकारी कहलनि कि अगिला मास से सभ राजधानी आओर शताब्दी कोच सभमे कोचक संख्या बढाओल जायत, ताकि आओर बेसी यात्री सफर क' सकैथ।

आईआरसीटीसी सभ रेल टिकट सिर्फ अंग्रेजी भाषा मे जारी करैत अछि। एक जुलाई से विभिन्न भारतीय भाषा मे सेहो टिकट जारी करत। ओतहि  रेलवे सुविधा ट्रेन के यात्रिय सभक सेहो टिकट रद्द करेबा पर पचास प्रतिशत धनराशि वापस करत। प्रीमियम रेलगाड़ि सभके जल्दे हमेशाक लेल रद्द काएल जायत किएक जे ओ अपेक्षित राजस्व जुटेबा मे असफल रहल अछि। रेलवे एक जुलाई से यात्रि सभके वेक अप कॉल केर सुविधा सेहो देबा जे रहल अछि। एहि सुविधा केर तहत तय स्टेशन अएबा से पहिने रेलवे या​त्री केर मोबाइल पर कॉल करि स्टेशन अएबाक जानकारी देत। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने