मोदी के गुरुदक्षिणा : लालकृष्ण आडवाणी देशक अगिला राष्ट्रपति बैन सकैत छैथि

नई दिल्ली। 16 मार्च। भारतीय जनता पार्टी के वयोवृद्ध नेता लालकृष्ण आडवाणी देशक अगिलाराष्ट्रपति बैन सकैत छैथि। उत्तर प्रदेश के  विधानसभा चुनाव मे भेटल ऐतिहासिक जीत के बाद आब भाजपा केर पसंदक राष्ट्रपति भेटब तय अछि। ऐहिक लेल पार्टी म' आडवाणी के नाम सामना आएल अछि। एहिलेल  8 मार्च के सोमनाथ मे एक मीटिंग मे चर्चा सेहो भेल छल, जाहिमे प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी व भाजपा अध्यक्ष अमित शाह समेत खुद आडवाणी सेहो मौजूद छला। मोदी एहि मीटिंग मे ई संकेत देलनि कि हुनका दिस से ई अडवाणी लेल गुरुदक्षिणा होयत। 


ओतहि प्राप्त जानकारी केर मुताबिक अगिला राष्ट्रपति लेल आडवाणी के नाम लगभग फाइनल मानल जे रहल अछि। उत्तर प्रदेश विधानसभा चुनाव केर नतीजा अएबा सँ पहिने पीएम मोदी दुई दिवसीय गुजरात दौरा पर छला। एहि दौरा केर दौरान सोमनाथ मे एक खास बैठक भेल छल, जाहिमे मोदी, शाह, आडवाणी के अलावा केशुभाई पटेल सेहो मौजूद छला। ओहि बैठक के दौरान मोदी ई संकेत देलनि कि यदि उत्तर प्रदेश मे चुनाव केर नतीजा भाजपा के मनमुताबिक होयत तेँ ओ अप्पन गुरु आडवाणी क' राष्ट्रपति पद पर देखा चाहता। 

 सोमनाथे से मोदी के राष्ट्रीय स्तर पर करियर शुरु भेल छल। दरअसल 1990 मे आडवाणी सोमनाथे से अयोध्या केर यात्रा शुरू केना छला आओर ओहि दौरान मोदी हुनकर रथ के सारथीक भूमिका निभेने छला। ऐहिक अलावा मोदी क' गुजरातक मुख्यमंत्री बनेबा मे सेहो आडवाणी केर अहम भूमिका रहल छल। 2002 के गुजरात दंगा लेल मोदी से जखन अटल बिहारी वाजपेयी खफा भ' राजधर्म निभेबाक नसीहत देना छलैन्ह ओहि समय सेहो आडवाणी मोदी क' वाजपेयी केर कोप सँ बचेना छलैन्ह। अपने के बता दी कि एहि बरख जुलाई मे राष्ट्रपति केर चुनाव होमै बला अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने