पेपर लीक कांड : आब बिहारक सभ प्रतियोगी परीक्षा होएत ऑनलाइन

पटना। 16 मार्च। आब जल्दे बिहारक सभ प्रतियोगी परीक्षा ऑनलाइन लेल जायत। बिहार कमर्चारी चयन आयोग पेपर लीक कांड से सबक लैत बिहार सरकार आब राज्य प्रतियोगी परीक्षा सभकेँ ऑनलाइन आयोजित करबाक मोन बना रहल अछि। आय गुरुवार दिन एक निजी चैनल से बातचीत करैत बिहार के शिक्षा मंत्री अशोक चौधरी कहलनि कि बिहार मे आब सभ प्रतियोगी परीक्षा क' ऑनलाइन आयोजित करबाक लेल काज शुरू काएल जे रहल अछि। जाहि तरहे एहिबेर बिहार कर्मचारी चयन आयोग केर परीक्षा मे धांधली भेल, ओहिसे सबक लैत राज्य सरकार परीक्षा सभकेँ ऑनलाइन आयोजन पर तेजी सँ काज क' रहल अछि।

अशोक चौधरी कहलनि कि मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो कहलनि अछि कि बिहार मे परीक्षार्थि सभक नीक भविष्य के देखैत आब सभ प्रतियोगी परीक्षा ऑनलाइन आयोजित करबाक जरूरत अछि। शिक्षा मंत्री कहलनि कि ऑनलाइन परीक्षा होयबा सँ धांधली केर कम आशंका रहैत अछि। एहि  संबंध मे दोसर एजेंसि सभसे जानकारी एकट्ठा काएल जे रहल अछि आओर एहिके जल्दे लागू काएल जायत। आगा ओ कहलनि  ऑनलाइन परीक्षा केँ पहिने प्रतियोगी परीक्षा मे लागू काएल जायत। ऐहिक बाद सफलता भेटला पर बोर्ड परीक्षा मे एहि एहिके लागू काएल जायत।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने