उत्तर प्रदेश के नवा मुख्यमंत्री केर नामक अटकला बरकरार, मुदा मनोज सिन्हा के भेटे लागल बधाई

लखनऊ। 18 मार्च। यूपी के नवा मुख्यमंत्री केर नामक लेकर जारी अटकला के बीच कैल्ह शुक्रवार के एकाएक संसद केर गलियारा मे मनोज सिन्हा के अगिला मुख्यमंत्री बनबाक चर्चा शुरू भ' गेल। ऐहिक संगे हुनका बधाई देबै बला सभक तांता लागि गेल। हालांकि, ओ खुद बधाई लेबा सँ बचैत रहला। एहि बिच ओ गृह मंत्री राजनाथ सिंह से सेहो मुलाकात केलैन्ह आओर फेर गाजीपुर लेल चल देलैथ।

संसद भवन के गलियारा मे  रेल राज्यमंत्री मनोज सिन्हा लोग सभसँ भेंट मुलाक़ात केलैथ, मुदा मुख्यमंत्री के नाम पर भेटैत बधाई के टारैत रहलैथ। मनोज सिन्हा उत्तर प्रदेश के अगिला मुख्यमंत्री बनता ऐहिक एखन धरी नहिये तेँ पुष्टि भेल अछि नहिये खंडन। 

मिडिया द्वारा पुछल गेल सवाल सँ बचैत मनोज सिन्हा माइक पर कहला कि जते धरी हमर मामला अछि, हम आब दिल्लीये मे छी आओर सोमवार दिन सेहो दिल्लीये मे रहब। बाद मे ओ गाजीपुर लेल चल देला। एहि बीच बीजेपी नेता सभक मानब अछि की कि राज्य मे पार्टी दू उपमुख्यमंत्री बनेबा पर सेहो गंभीरता से विचार क' रहल अछि ताकि राज्य के दू बड़का क्षेत्र सभके प्रतिनिधित्व देल जे सके।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने