जस्टिस राजेंद्र मेनन लेलनि पटना हाईकोर्ट केर मुख्य न्यायाधीशक शपथ

पटना। 15 मार्च। पटना हाईकोर्ट के नवा मुख्य न्यायाधीश भेट गेल अछि। मध्य प्रदेश हाईकोर्ट के जज रही चुकल न्यायमूर्ति राजेंद्र मेनन कैल्ह बुधवार दिन पटना हाईकोर्ट के मुख्य न्यायाधीशक पद पर शपथ लेलनि। हुनका बिहार के राज्यपाल रामनाथ कोविंद मुख्य न्यायाधीशक पद पर शपथ दियौलन्हि। एहि मौका पर  इस मुख्यमंत्री नीतीश कुमार  समेत बहुत रास मंत्री, अधिवक्ता आओर न्यायाधीश मौजूद छला। सभकियो  राजेंद्र मेनन क' पटना हाईकोर्ट केर मुख्य न्यायाधीश बनबाक बधाई देलनि।  
अपने के बता दी कि राजेंद्र मेनन मध्यप्रदेश के हाई कोर्ट मे 21 अगस्त 1981 से वकालत केर अभ्यास केलनि। हुनका 1 अप्रैल 2002 के मध्य प्रदेश हाई कोर्ट मे एडिशनल जज के पद पर नियुक्त काएल गेलनि। पटना हाईकोर्ट के कार्यकारी मुख्य न्यायाधीश न्यायमूर्ति हेमंत गुप्ता मध्यप्रदेश के नवा मुख्य न्यायाधीश बनाओल गेल छैथ। जखनकि पटना हाईकोर्ट के एक आन जज न्यायमूर्ति नवनीति प्रसाद केरल हाई कोर्ट के मुख्य न्यायाधीश बनाओल गेल छैथ। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ