
सुपौल। 15 मार्च। थाना क्षेत्र के सिमराही बाजार प्रतापगंज रोड एनएच 57 पर आय बुधवार दुपहर ओहि समय अफरा-तफरी मची गेल, जखन दिन के करीब बारह बजे एक राह चलैत अज्ञात मोटरसाइकिल मे अचानक आगि लागल आओर देखते - देखते मोटर साइकिल जलिके राख भ' गेल। ओनाकि एहि घटना मे मोटरसाइकिल चालक बाल-बाल बची गेला।
प्राप्त जानकारी केर मुताबिक़ सिमराही बाजार प्रतापगंज रोड एनएच 57 पर दिन के करीब बारह बजे एक अज्ञात मोटरसाइकिल सवार अपन मोटरसाइकिल पर दुई गैलन पेट्रोल बांधि प्रतापगंज दिस जायत छला। जते सिमराही बाजार के पुराना सिनेमा हॉल लग फोरलेन पर अचानक मोटरसाइकिल के साइलेंसर पाइप से निकलल लुत्ति से गाड़ी मे बान्हल गैलन मे आगि लैग गेल आओर मोटरसाइकिल जरी के राख भ' गेल।
एहि घटना से पूरा सिमराही बाजार मे अफरा-तफरी मैच गेल। प्रत्यक्षदर्शि सभक मुताबिक़ गाड़ी चालक गाड़ी ठाढ़ करि आगि बुझेबाक बहुत प्रयास केलैन्ह। मुदा आगिक विकराल रूप के चलते चालक आगि बुझेबा मे सफल नहि भेला। घटना के जानकारी स्थानीय लोग सभ राघोपुर पुलिस के देलनि। घटनाक जानकारी भेटते राघोपुर थाना के पुलिस घटनास्थल पर पहुंच घटना केर जानकारी लेलनि आओर जड़ल गाड़ी के अपना कब्जा मे ल' गाड़ी चालक केर खोजबीन मे भीड़ गेल।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।