पेपर लीक मामला : IAS सीके अनिल क' गिरफ्तार करबाक तैयारी शुरू

पटना। 02 मार्च। बीएसएससी घोटाला मे एक आओर आईएएस अधिकारी के गिरफ्तारीक तैयारी कायल जे रहल अछि। सीनियर आईएएस सीके अनिल सेहो एसआईटी केर रडार बताओल जे रहल अछि। एसआईटी के  टीम कखनहुँ सीके अनिल के गिरफ्तार क' सकैत अछि।

सूत्र केर मुताबिक मुख्यमंत्री दिस से सेहो कार्रवाई करबाक लेल एसआईटी क' हरी झंडी भेट गेल अछि। सीके अनिल पर बीएसएससी घोटाला मे सुधीर कुमार क' बचेबाक कोशिश करबाक आरोप अछि। ऐहिक संगे सबूत सभक संग छेड़छाड़ करबाक सेहो आरोप लागल अछि। बीएसएससी मे सीके अनिल ओएसडी के पद पर तैना छैथ।

बीएसएससी घोटाले मे पूर्व गृह सचिव सुधीर कुमार के गिरफ्तारीक बाद से आईएएस एसोसिएशन लगातार सरकारक विरोध क' रहल अछि। ओतहि  एसआईटी आईएएस एसोसिएशन के दबाव के आगू झुकबाक बजाय एक आओरसीनियर आईएएस क' गिरफ्तार करबाक तैयारी क' रहल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने