'नमामि गंगे' के तहत बिहार मे बहुत रास प्रॉजेक्ट क' भेटल मंजूरी

पटना। 02 मार्च। पटना मे गंगा क' स्वच्छ रखबाक लेल शहरमे सक्षम जलमल शोधन संयंत्र (एसटीपी) तैयार करबाक लेल 'नमामि गंगे' कार्यक्रम के तहत 1050 करोड़ टाकाक विभिन्न परियोजना सभके मंजूरी भेटल अछि। 

जल संसाधन मंत्रालय के एक अधिकारी कहला कि ई राशि 2 एसटीपी बनेबाक लेल, मौजूदा एसटीपी के नवीनीकरण, 2 पंपिंग स्टेशन केर निर्माण आओर लगभग 400 किलोमीटर तक नवा भूमिगत जलमल नेटवर्क बिछेबा पर खर्च कायल जायत।

नमामि गंगे कार्यक्रम गंगा क' निर्मल आओर अविरल बनेबाक मोदी सरकार के महत्वाकांक्षी परियोजना अछि। मु़ख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो  पटना मे गंगा केर स्वच्छताक विषय के कैको बेर उठेला आओर एहि बारे मे नीतीश कुमार किछ दिन पहिने प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी से सेहो चर्चा केना छला। 

मंत्रालय दिस सँ जारी बयान केर मुताबिक, पटना शहर के सैदपुर क्षेत्र मे 60 एमएलडी क्षमता बला एसटीपी बनेबाक लेल आओर 227 किलोमीटर के नवा भूमिगत जलमल नेटवर्क बिछेबाक लेल कुल 600 करोड़ टाकाक ठेका देल जे चुकल अछि। ऐहिक संगे मौजूदा एसटीपी के नवीनीकरण आओर लगभग 180 किलोमीटर के नवा भूमिगत जलमल नेटवर्क बिछेबाक अलग-अलग परियोजनाक लेल 450 करोड़ टाका आवंटित होयत।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने