दिनदहाड़े युवती केँ घरसँ अपहरण, अपराधी सभक मनोबल दिनों दिन बढ़ले जे रहल अछि

गोपालगंज। 29 मार्च। राज्य मे अपराधी सभक मनोबल दिनों दिन बढ़ले जे रहल अछि। आय बुधदिन बाइक सवार अपराधी सभ फिल्मी अंदाज मे गुंडागिरी देखबैत बाइक पर सवार भ' युवतीक घर पहुंचलनि। युवती द्वारा दरवाजा जहिना खोलल गेल अपराधी सभ जबरदस्ती युवती के गाड़ी पर बैसा अपहरण क' लेलनि। 

बताओल जे रहल अछि कि बेदू टोला गाम निवासी एक 16 वर्षीय युवती  अपन भाभी साथ घर मे छली। युवतीक माँ बाबूजी शिक्षक छथि आओर ओ स्कूल गेल छलखिन। एहि बीच आय दुपहर 12.30 बजे दू बाइक पर सवार तीन युवक किशोरी के घर पहुँच हुनकर अपहरण क' लेलनि।

अपन बेटीक अपहरण केर जानकारी भेटला पर थाना पहुँचल युवती केर पिता उचकागांव थाना क्षेत्र के वृंदावन मलाही टोला निवासी रमैया साह के पुत्र ईश्वर साह, दुखहरण शाह के पुत्र धर्मेंद्र कुमार आओर बेचू शाह के पुत्र अजित शाह केर खिलाफ प्राथमिकी दर्ज करौलन्हि। एहि संबंध मे थानाध्यक्ष प्रवीण कुमार कहलनि कि प्राथमिकी दर्ज करि मामला के जांच  पड़ताल काएल जे रहल अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने