मानवता भेल शर्मसार : पूर्णिया मे महिला के जिंदा जड़ाओल गेल

पूर्णिया। 29 मार्च। जिला के रुपौली प्रखंडक मोहनपुर ओपी के कांप गाम मे एक सनसनीखेज मामला प्रकाश मे आयल अछि। मानवता के शर्मसार करैबला ई हृदय विदारक घटना पूरा समाज पर कलंक लगा देलनि। ई दुर्भाग्य अछि,  आइयो लोग अंधविश्वास, तंत्र-मंत्र, जादू-टोना मे भरोसा करैत छथि। 
 
अपने के बता दी कैल्ह राति रुपौली प्रखंड के कांप गाम मे एक 85 बरखक महादलित वृद्ध महिला रामवती के हुनकर पड़ोसी जिंदा जड़ा देलनि। महिला रामवती चिकरैत रहली, कियो हुनका बचेबाक लेल नहि अयलनि।  परिवारक लोग सभ हुनका बचेबाक कोशिश कएलनि, तेँ हुनको सभके पड़ोसी सभ माएर के भगा देलैन्ह। घटना केर पुष्टि एसडीपीओ धमदाहा एचएस फाखरी कएलनि अछि। एसडीपीओ कहलनि कि आरोपि सभक  गिरफ्तारी लेल छापामारी काएल जे रहल अछि। फ़िलहाल महिला के लाश क' पोस्टमार्टम लेल भागलपुर भेजल गेल। एक कए गिरफ्तार काएल गेल अछि, बांकी लोग फरार छथि। एमहर घटना ल'के पूरा इलाका मे सन्नाटा पसरा पसरल अछि। इलाका मे पुलिसबल तैनात काएल गेल अछि। 

ई अछि मामला :- मृतक महिला रामदेवी के पड़ोस मे चिकरू के 12 वर्षीय बेटा भीम क' सांझ 5 बजे गोइठा आनबाक क्रम मे सांप काटी लेलैन्ह।  सांप काटबाक बाद चिकरू कउनु तांत्रिक के बजौलैन्ह सांपक विष झाड़बाक लेल, देर होयबाक कारण भीम केर तबीयत आओर बिगैर गेलनि। एहिके देखैत चिकरू भीम क' अस्पताल ल' गेलनि, लेकिन ताधरि देर भ' चुकल छल। डॉक्टर सभ बहुत कोशिश केलैन्ह, मुदा जहर काफी पसैर जेबाक कारण भीम के नहि बचाओल जे सकल। 

ऐहिक बाद चिकरू घर आबि रामवती के कहलनि कि अहाँ तंत्र-मंत्र सँ सांप भेजबा हमर बेटा के मरवा देलहुँ, ओकरा जिंदा करू नहितें अंजाम भुगतै लेल तैयार रहू। एतबा कही चिकरू रामवती के घर सँ निकलला, फेर किछु देरक बाद 10 सँ 12 लोगक संग आबि रामवती के बेटा के जिंदा करबाक लेल कहे लागला। रामवती कहली हम जिंदा कोना करि। रामवती के एतबा कहैक देरी कि चिकरू किरासन तेल महिला के शरीर पर छिड़की आगि लगा देलनि। जहिसे रामवती केर मौत भ' गेलैन्ह।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ