बिहार दिवस लेल गांधी मैदान सजी - धजीके तैयार, समारोह कार्यक्रम भेल शुरू

पटना। 22 मार्च। बिहार दिवस लेल पटना के गांधी मैदान सजी - धजीके पूरा तरहे तैयार अछि। गांधी मैदान मे आकर्षक नीला रोशनी आओर सजावट बहुत भव्य नजरि आइब रहल अछि। बिहारक स्थापना दिवस पर होमै बला तीन दिवसीय बिहार दिवस समारोह केर शुरुआत भ' गेल अछि।  एहि बेर बिहार दिवस के आठम समारोह मे मशहूर प्ले बैक गायिका सुनिधि चौहान अपन गायिकी सँ समा बान्हथिन। 
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बिहार दिवस समारोह केर उद्घाटन करता।  बिहार सरकार के शिक्षा विभाग दिस सँ अयोजित बिहार दिवस केर उद्घाटन समारोह मे शिक्षा मंत्री अशोक चौधरी सेहो मौजूद रहता। अपने के बता दी मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बरख 2010 सँ बिहार दिवस समारोह मनेबाक शुरुआत कएलनि। 
एहि बेर शराबबंदी के बाद पहिल बेर आयोजित भ' रहल बिहार दिवस समारोह नशामुक्ति केर थीम पर आधारित अछि। समारोह मे कार्यक्रम केर  माध्यम सँ लोग सभक बीच नशामुक्ति केर सनेस पसारल जायत। गांधी मैदान मे बने इंद्रधनुषी द्वार, बड़का बड़का पैवेलियन, सुन्नर सुन्नर स्टॉल व आयोजित होमै बला दोसर कार्यक्रम मे नशामुक्ति केर झलक देखबाक लेल भेटत। ऐहिक अलावा बिहार के शिक्षा म' भ' रहल प्रगति क' सेहो समारोह मे देखाओल जायत। शिक्षा मंत्री अशोक चौधरी कहलनि कि बिहार दिवस समारोह केर शुरुआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बिहारक वैभव आओर विकास केर यात्रा के दर्शेबाक लेल कएलनि छथि। ई परंपरा के आगू बढ़ाबैत ‘नशा मुक्ति’ क' केन्द्र मे राखैत आठम बिहार दिवस समारोह मनाओल जायत। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने