
मधेपुरा। 22 मार्च। मिस बिहार के विजेता रहल कोसी के बेटी रिचा राजपूत क' माया विद्या निकेतन परिसर दिस सँ सम्मानित कायल गेल। 2015-16 मे रिचा मिस बिहार व मिस बॉलीवुड केर अलावा अपन प्रतिभाक बल पर बरख 2015 मे गणतंत्र दिवस केर अवसर पर राष्ट्रपति प्रणव मुखर्जी, अमेरिका राष्ट्रपति बराक ओबामा, सेनाध्यक्ष जनरल दलबीर सिंह केर मौजूदगी मे रक्षा मंत्री मनोहर पर्रिकर सँ सम्मानित भ' चुकल छथि।
वर्तमान मे मिथिला पेंटिंग केर संरक्षण पर कार्यरत समाज सेविका क' सम्मानित करैत विद्यालय केर निदेशिका चंद्रिका यादव कहलनि कि रिचा सीमित संसाधन मे उपलब्धि हासिल केना छली। एहि मौका पर विद्यालय के निदेशक छात्रा सभक नि:शुल्क नामांकन केर घोषणा करैत कहलनि कि बेटी के आगु आनबाक जरुरत अछि। विद्यालय दिस सँ भेटल सम्मान सँ प्रफुल्लित रिचा अपन सफलताक पूरा श्रेय अपन माता - पिता क' दैत कहलनि कि यदि माता पिता केर सही मार्गदर्शन भेटे तेँ कुनु भी मुकाम क' आसानी सँ हासिल कायत जे सकैत अछि।
आगा ओ कहली कि ई सम्मान हमरा आओर आगू बढ़बाक लेल प्रेरित करत। मौके पर रिचा के पिता राकेश सिंह कहलनि कि रिचा परिवारक नहि, कोशी सहित पूरा प्रांत केर नाम रोशन केलीह। रिचा के प्रारंभिक शिक्षक रहल गणेश कुमार कहलनि कि रिचा आन छात्रा सभक लेल प्रेरणा छथि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।