पूर्वी चंपारण। 23 मार्च। जिला मुख्यालय स्थित मुंशी सिंह कॉलेज मे सर्व सेवा संघ केर तत्वावधान मे आयोजित होमै बला तीन दिवसीय सत्याग्रह शताब्दी सम्मेलन केर उद्घाटन मुख्यमंत्री नीतीश कुमार व तुषार गांधी किछु देर मे करता।
कार्यक्रम स्थल पर सुरक्षा घेरा के सख्त कायल गेल अछि। एमएस कॉलेज मे प्रवेश लेल बैरिकेडिंग लगाओल गेल अछि। बरका गाड़ी के प्रवेश पर रोक लगाओल गेल अछि। प्रवेश कराइ बला सभक पुलिसकर्मी तलाशी ल' रहल छैन। बताओल गेल छल कि मुख्यमंत्री हेलिकॉप्टर सँ साढ़े ग्यारह बजे कार्यक्रम स्थल पर पहुंचथिन।
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सम्मेलन केर उद्घाटनक संगेपरीक्षा भवन के सेहो उद्घाटन करथिन। ओ स्वतंत्रता आंदोलन केर दौरान मुंशी सिंह कॉलेज मे बनल जेल सेहो देखथिन। एहिमे स्वतंत्रता संग्राम केर दौरान लोग सभके बंद कायल गेल छल।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।