
पूर्णिया। 23 मार्च। बिहारक स्थापना के 105 साल पूरा भेला पर पूर्णिया के कलाभवन मे रंगारंग कार्यक्रम केर आयोजन भेल। जिला पदाधिकारी पंकज कुमार पाल, पुलिस अधीक्षक निशांत तिवारी, डीडीसी रामशंकर, एसडीओ रविंद्र नाथ प्रसाद सिंह, एसडीपीओ राजकुमार साह व डीसीएल आररवि प्रकाश दीप प्रज्ज्वलित करि स्थापना दिवस कार्यक्रम केर उद्घाटन कएलनि।
बिहार स्थापना दिवस कार्यक्रम मे जिला पदाधिकारी पंकज कुमार पाल कार्यक्रम मे पहुँचल दर्शक सभक पूरा जोश संग अभिनंदन कएलनि। कार्यक्रम के संबोधित करैत जिला पदाधिकारी कहलनि कि हमरा बहुत ख़ुशी भ' रहल अछि कि हम सब मिल पूर्णिया मे बिहारक 105म सालगिरह मना मना रहल छी। आगा ओ 'बिहार बढ़त तखने देश बढ़त' के स्लोगन सँ कार्यक्रम केर शुरुआत करैत कहलनि कि बिहारक तरक्की के देशक कैको राज्य आय कॉपी क' रहल अछि।
बिहार मे आय माननीय मुख्यमंत्री जी के सात निश्चय क' पूरा देश देख रहल अछि। पुलिस अधीक्षक निशांत तिवारी बिहार दिवस पर सबसे पहिने पूर्णिया वासी सभके बधाई देलनि। अपन बधाई संदेश मे ओ कहलनि कि बिहार क' आब किनको पहचान केर जरूरत नहि अछि, आय बिहार मद्य निषेध सँ पूरा दुनिया के नवा संदेश देना अछि। पूरा देश नहि बल्कि पूरा दुनिया बिहारक एहि पहल के सम्मान करैत अछि।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।