दहेज मुक्त मिथिलाक छठम वार्षिकोत्सव एवं होली मिलन समारोह संपन्न भेल

मुम्बई। 06 मार्च। मिथिला के दहेज प्रथा सँ मुक्त करबाक लेल कार्यरत अभियानरूपी संस्था 'दहेज मुक्त मिथिला' केर छठम वार्षिकोत्सव एवं होली मिलन समारोह कैल्ह रविवार दिन मुम्बई के उपनगरी नालासोपारा  मे संपन्न भेल। सर्वेश झा 'श्रवण' द्वरा गाओल मैथिली गोसाउनि गीत "जय जय भैरव असुर भया-उनि, पशुपति भामिनि माया" संग कार्यक्रम मे उपस्थित विशिष्ट अतिथि श्याम शुन्दर झा, कमल झा, कृष्णकुमार झा 'अन्वेषक', रविन्द्र झा, पुतुल झा, कमलकांत मिश्र, पं. धर्मानंद झा, कुणाल ठाकुर, पंकज झा, राजेश राय, धर्मेन्द्र झा आदि लोकनि द्वारा बाबा विद्यापति के पुष्प माला अर्पित करि कार्यक्रम केर उद्घाटन भेल। 

समाजसेवी कमल झा केर अध्यक्षता आओर पंकज झा द्वारा संचालित मंच पर कार्यक्रम मे उपस्थित गणमान्य लोकनि अपन वक्तव्य मे दहेज रूपी  दानव केर कोना संघार होयत अहि पर चर्चा कएलनि। एहि बिच राजेश राय दहेज़ प्रथा पर आधारित एक कविताक पाठ करैत कहलनि की 'दहेज़ मुक्त मिथिला' अभियान मे महिला शक्ति केर कमी अछि, आओर जाधरि महिला शक्ति आगू नहि औति दहेज़ रूपी दानव केर संघार करब मुश्किल अछि। 

अपन विवाह वा अपन बेटा - बेटीक विवाह मे दहेज़ नहि लेबाक वा नहि देबाक लेल, संगहि मैथिल जनके प्रोत्साहित करबाक लेल कैल्ह के कार्यक्रम मे दीपक मिश्र, विजय झा, विकाश झा, पं. धर्मानंद झा, श्यामनाथ पाठक, कमलकांत मिश्र आओर सगुण मिश्र के पुष्पगुच्छ आओर शाल द' सम्मानित कायल गेल। 

लोकप्रिय युवा उद्धोषक रौशन मिश्र संग लोकप्रिय गायक सर्वेश झा 'श्रवण', केशव रॉक, मनुवा ठाकुर, श्यामानंद झा आओर महंत झा अपन - अपन  प्रस्तुति सँ कार्यक्रम मे उपस्थित समस्त श्रोता लोकनि के झूमा देलैन्ह। एहि बिच कार्यक्रम मे उपस्थित मैथिल वृन्द, मिथिलाक होली लेल मशहूर दूधभंगा (ठंढई) के आनंद उठबैत खूब अबीर (गुलाल) खेललनि। अंत मे महंत झा द्वारा गाओल समदाउन गीतक संग कार्यक्रम केर समापन भेल। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने