आब रंग गुलाल सँ किनका परहेज? सभसँ पहिने राष्ट्रिय अध्यक्ष राम नरेश शर्मा आओर प्रदेश अध्यक्ष रामबाबू ठाकुर एक दोसर के गुलाल लगेलाह आ गरदनि मिलेलाह। तकर बाद महाराष्ट्र कार्यकारिणी परमानन्द शर्मा (उपाध्यक्ष), सुशिल कुमार मंडल (महासचिव), अशोक साहू (सचिव), दिगम्बर शर्मा (कोषाध्यक्ष), अमोल चौधरी (सोशल मिडिया प्रभारी) आओर कार्यकारिणी सदस्य लालबाबू शर्मा, लालबाबू यादव, गणेश मंडल संग सब कियो शुरू कयलनि होरी खेलैक सिलासिला की जुआन, बुढ़, बच्चा सब एक दोसर के रंग-अबीर सँ रंगि देलाह। रंग बिरंगक होरी गीत जोगीरा ढ़ोल, हरमुनिया, झायल आदिक ध्वनि सँ माहौल एकदम लागैत छल जना मिथिलाक धरतीये पर होरी खेला रहल छी।
मिथिलानी सब सेहो आपस में फगुआ गीत गाबि एक दोसर के रंग-अबीर लगा एक दोसर सँ गारा मिला होरी क शुभकामना देलनि। राष्ट्रिय अध्यक्ष अपन वक्तव्य में सब सँ आग्रह केलनि जे संभव हो त होली दिन प्राकृतिक रंग क प्रयोग करि आ प्रयास करि जे पानि क बर्बादी कम हो संगहि इहो ध्यान राखि जे सामाजिक सौहाद्र क प्रतीक एहि त्योहार में कोनो तरहक नशा क प्रयोग नहि हो जाहि सँ रंग में भंग वाला कहबि चरितार्थ हो।
होली समारोह सम्पन्न केलाक बाद महाराष्ट्र कार्यकारिणी आओर राष्ट्रीय कार्यकारिणी संयुक्त रूप सँ संस्थाक काज जेनाकि सदस्यता अभियान, आन-आन प्रदेश में समूहक गठन, नव-नव सदस्य तक सुचारु रूप सँ संस्थाक उद्देश्य कोना पहुँचय आदि मुद्दा पर गंभीरता सँ विचार कयल गेल।
समारोह सफल बानेबाक लेल सुशील मंडल, जयराम ठाकुर, लालबाबू शर्मा-२,श्रवण पासवान, गणेश मंडल, सुरेश शर्मा, उमेश कमती, दीपक शर्मा, मनोज यादव, राहुल मंडल, अमोल चौधरी, राजेश कमती, नरेश यादब, राकेश मंडल,संदीप कमती, रोशन मंडल, मुकेश चौधरी, दीपक मंडल, सूरज मंडल, विजय शर्मा, गोपाल शर्मा उपस्थित भेलाह,तहिना महिला सब सेहो बच्चादाय शर्मा, रीता शर्मा, चंदा सिंह, नीलू ठाकुर, मीणा शर्मा,चाँदनी शर्मा, अर्चना शर्मा, विद्यया शर्मा, पूजा मिश्रा आदि नीक संख्या में मैथिलानी सब उपस्थित छलथि । उपरोक्त सबटा व्यवस्था आ देखरेख लालबाबू शर्मा जीक छलनि,जे सराहना के काबिल छल।
दिल्ली:- सुच्चा मैथिलक दिल्ली इकाई क बैसार छत्तरपुर मंदिरक परिसर में अरुण शर्मा जीक अध्यक्षता में सफलता पूर्वक संपन्न भेल। स्थानीय सदस्य के संगहि नव सदस्य सब सेहो अपन उपस्थिति दर्ज करेलाह । आजुक बैसार मे बहुत रास सामाजिक आ संस्थाक वर्तमान समस्या पर गहन विचार-विमर्श कयल गेल जाहि मे मुख्यतः वर्तमान मे दिल्ली समेत देश के भिन्न-भिन्न प्रदेश मे चलाओल जा रहल सदस्यता अभियान केर समीक्षा कयल गेल संगहि संस्थाक कोषक समस्या कोना दूर कयल जाय ताहि पर सकारात्मक विचार-विमर्श कयल गेल ।
किछु सदस्य द्वारा दहेज मुक्त विवाह के प्रोत्साहन लेल संस्था द्वारा भविष्य मे और बेसी ध्यान देबाक आग्रह सेहो कयल गेल । बैसार मे उपस्थित समस्त सदस्य द्वारा सुच्चा मैथिल संस्था के जन-जन तक पहुँचयबाक प्रतिबद्धता दोहरायल गेल । बैसार मे मुख्यतः दिल्ली प्रदेश अध्यक्ष अरुण कु.शर्मा, राष्ट्रीय महासचिव अमलेश मंडल, दिल्ली प्रदेश उपाध्यक्ष शम्भु शर्मा, दिल्ली प्रदेश कोषाध्यक्ष ललन शर्मा, अजय जयसवाल, संतोष कु.शर्मा,मनोज शर्मा, शंकर शर्मा, राजू कु.ठाकुर, अशोक शर्मा आदि गणमान्य लोकनि उपस्थित भेलाह।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।