शिक्षिका सँ प्रखंड शिक्षा पदाधिकारी कएलनि अभद्र व्यवहार

सुपौल। 09 मार्च। जते एक दिस कैल्ह बुधवार दिन विश्व भरीमे अंतर्राष्ट्रीय महिला दिवस मनाओल गेल, ओतहि दोसर दिस सुपौल जिलाक पिपरा प्रखंड के प्रखंड शिक्षा पदाधिकारी द्वारा ओहिदिन एक महिला शिक्षिका पर अभद्र टिप्पणी कायल गेल। ऐहिक विरोध मे शिक्षक सभ बीआरसी मे तालाबंदी करि खूब नाराबाजी कएलनि आओर बीआरसी के सामने शिक्षक धरना देलन्हि। 

बाद मे शिष्टमंडल द्वारा एक आवेदन प्रखंड विकास पदाधिकारी पिपरा ज्योती गामी क' समर्पित कायल गेल। धरना स्थल पर बैसल शिक्षक सभ  कहला कि प्रधानाध्यापक गुरु गोष्ठी मे भाग लेबाक लेल बीआरसी पहुँचल छला। गुरू गोष्ठी समाप्त भेलाक बाद शिक्षिका क' एक शिक्षक बुलाकर प्रखंड शिक्षा पदाधिकारी के कक्ष मे ल' गेलैन्ह। जते प्रखंड शिक्षा पदाधिकारी पहिने सँ बैसल छला। ओता प्रखंड शिक्षा पदाधिकारी द्वारा अभद्र व्यवहार करैत शिक्षिका संग छेड़खानी के असफल प्रयास कायल गेल। 

 
शिक्षिका द्वारा हल्ला करबा पर आन शिक्षक ओहिठाम पहुंचला। अधिकारी केर एहि करतूत सँ तमसायल शिक्षक सभ बीआरसी मे ताला लगा प्रखंड शिक्षा पदाधिकारी केर विरुद्ध खूब नारेबाजी केलनि आओर प्रखंड शिक्षा पदाधिकारी सूर्यदेव यादव केर क्रियाकलाप केर विरुद्ध एक आवेदन बीडीओ क' समर्पित कएलनि। एहि संबंध मे बीडीओ ज्योति गामी कहला  कि आवेदन भेटल अछि। जांच कायल जायत, जांचोपरांत दोषी केर विरुद्ध कार्रवाई कायल जायत।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने