एग्जिट पोल्स सँ दूर, उत्तर प्रदेश मे सभके अप्पन जीतक भरोसा

लखनऊ। 10 मार्च। बीजेपी, बीएसपी आओर समाजवादी पार्टी सभमे  भरोसा आओर घबराहट दुनु देखबाक लेल भेट रहल अछि। नेता लोकनि एहि बातक जायजा ल' रहल छैथ कि हुनकर पार्टीक परफॉर्मेंस केहेन रहल। कैल्ह देर सांझ तक एग्जिट पोल के आंकड़ा सेहो आयब गेल अछि। ओनाकि एग्जिट पोल उत्तर प्रदेश मे भारतीय जनता पार्टी केर जीत देखा रहल अछि, लेकिन सभ पार्टी के भरोसा अछि कि हुनकर जीत होमै बला अछि। 

बीजेपी अध्यक्ष अमित शाह रिसर्च ऐनालिस्ट्स आओर डेटा एकट्ठा करबाक लेल टीम तैयार कएलनि अछि। एहि टीमक आकलन केर मुताबिक, पार्टीक परफॉर्मेंस बहुत नीक रहल अछि, आओर पार्टी 403 सीट बला यूपी एसेंबली मे 202 के बहुमतक आंकड़ा तक पहुंच रहल अछि। टीम केर मुताबिक, पार्टी के कुनु भी हालत मे 190 सँ कम सीट नहि भेटत।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने