तीन फीटक दूल्हा आओर ढाई फीटक दुल्हिन के देखबाक लेल उमड़ल भीड़

सिवान। 10 मार्च। ओनातेँ बियाह सभक होयत अछि। मुदा किछु बियाह एहेन होयत अछि जे यादगार आओर खास बैन जायत अछि। एहने एक बियाह सीवान मे भेल, जता तीन फीटक वर-वधु केँ देखबाक लेल लोग सभक भीड़ उमैर पड़ल।

असल मे सीवान के गुठनी थाना क्षेत्रक सेमाटार गाम मे एक छोट कदक लड़का के हुनके सनक दुल्हिन भेट गेल। दुनूक जोड़ी बहुत जमैत छल आओर दुनु एक दोसर के पाबि बहुत खुश देखार देलनि। अपने के बता दी कि गुठनी थाना क्षेत्र के सेमाटार गाम निवासी जयराम शर्मा अपन बेटा विश्वजीत शर्मा के दिव्यांग आओर छोट कद होयबाक कारण से हुनक बियाह लेल बहुत चिंतित रहैत छला। लेकिन एक व्यक्ति केर पहल पर हुनक बेटा के बियाह हुनके जोका दिव्यांग आओर छोट कदक छपरा जिला के गड़खा थाना क्षेत्र के रामपुर निवासी गुलाब शर्मा केर पुत्री अनिता से 6 मार्च के बड़ा धूमधाम से सम्पन्न भेल। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने