आतंकी साजिश : यूपी के महोबा में महाकौशल एक्सप्रेस के 8 कोच पटरी सs उतरल, 200 घायल




30 मार्च। जबलपुर सs हजरत निजामुद्दीन जा रहल महाकौशल एक्सप्रेस (12189) गुरुवार भोरे उत्तर प्रदेश के महोबा के नजदीक दुर्घटनाग्रस्त भ गेल। एही हादसा में 200 सs ज्यादा लोग के घायल होबाक खबर अछि।
प्राप्त सूचना के मुताबिक महोबा-कुलपहाड़ रेलवे स्टेशन के बीच राइत 2.07 बजे महाकौशल एक्सप्रेस के आठ डिब्बा पटरी सs उतैर  गेल।  महोबा स्टेशन सs चलला के 10 किलोमीटर के बाद ट्रेन पटरी से उतैर गेल।  ओहि समय ट्रेन कs रफ्तार बहुत कम छल नै तs पैग हादसा भ सकैत छल।

दुर्घटनाग्रस्त डिब्बा में 4 AC (A-1, B-1, B-2, B-extra), 1 स्लीपर (एस-8), 2 सामान्य यात्री कोच और एक एसएलआर अछि। फिलहाल बचाव आर राहत कार्य जारी अछि।  महोबा के डीएम घटनास्थल पर पहुंच चुकल छैथ। डीआरएम झांसी आ जीएम एमसी चौहान सेहो घटनास्थल पहुंच चुकल छैथ।

कहल जा रहल अछि की एही पूरा मामला में आतंकी हमला के साजिश सेहो भ सकैत अछि , कियाकी पटरी के काटल होबाक साबुत भेटल अछि। एही मामला में लखनऊ सs एटीएस टीम के जांच के लेल मौका पर भेजल  गेला।

रेलवे के द्वारा जारी कैल गेल हेल्प लाइन नंबर -

झांसी: 0510-1072
ग्वालियर: 0751-1072
बांदा: 05192-1072

नई दिल्ली रेलवे स्टेशन: 22623
नई दिल्ली पीएनटी: 011-23341072, 011-23341074, 011-23342954

हजरत निजामुद्दीन रेलवे स्टेशन: 72510, 72389
हजरत निजामुद्दीन पीएनटी: 011-24359748

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ