बिहार में जल्द अंतरराष्ट्रीय स्टेडियम के निर्माण होयत।




30 मार्च। पटना। बिहार के राजगीर में जल्द ही अंतरराष्ट्रीय स्टेडियम के निर्माण होयत। कैबिनेट के बैठक में एही स्टेडियम के लेल 99 एकड़ जमीन देबाक कs निर्णय लेल गेल। सीएम नीतीश कुमार के अध्यक्षता में भेल एही बैठक में कुल 43 एजेंडा मंजूर भेल। राज्यकर्मि के 7वाँ वेतनमान आयोग के अनुशंसा के आधार पर नव वेतनमान देबाक के लेल गठित वेतन आयोग के कार्यकाल के सेहो बैठक में 2 माह के लेल बढ़ाबा के निर्णय कैल गेल।
बैठक में आर्यभट्ट विवि में तीन नव कोर्स शुरू करै के मंजूरी देल गेल। जाहि जर्नलिज्म, पाटलिपुत्र  स्कूल ऑफ़ इकोनॉमिक्स आर रिवर स्टडी शामिल अछि। तीनू कोर्स के लेल 103 करोड़ रुपए स्वीकृत कैल गेल।
कैबिनेट के बैठक में 7 जिला में ऑन स्पॉट सेण्टर स्थापित करबाक मंजूरी देल गेल। इ सेण्टर दरभंगा, सारण, पूर्णिया, गोपालगंज, गया, बेगुसराय में होयत। एक सेण्टर के स्थापना पर 27 लाख रुपए खर्च होयत।
बैठक में पंचम राज्य वित्त आयोग सs राज्य के शहरी निकाय के 449 करोड़ देबाक निर्णय लेल गेल। राज्य में नव सिरा सs विश्वविद्यालय सेवा आयोग के गठनक' निर्णय लेल गेल। एक अन्य निर्णय में बिहार पुलिस के जवान के आब बिहार सs बाहर इलाज के लेल गृह सचिव सs अनुमति के बजाय डीजीपी सs अनुमति लेबाक प्रावधान कैल गेला। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ