सुच्चा मैथिल 'मुम्बई इकाई' केर बैसार संपन्न भेल

मुम्बई। 13 फरवरी। [ दिगम्बर शर्मा ] काल्हि रवि दिन साँझक चारि बजे सँ मुंबईक आजाद मैदान में सुच्चा मैथिल, महाराष्ट्र इकाईक  बैसार राखल गेल छल ,जे महाराष्ट्र महासचिव सुशिल कुमार मंडल जीक अध्यक्षता में सफलता पूर्वक संपन्न भेल ।

हलाकि बैसार में प्रदेश अध्यक्ष (रामबाबू ठाकुर) महोदय आर किछु कार्यकारिणी सदस्य कुनों कारणवस नहि पहुँच सकलाह ,तैयों महाराष्ट्र कार्यकारिणी सुशिल कुमार मंडल (महासचिव), दिगम्बर शर्मा (कोषाध्यक्ष),लालबाबू यादव (सदस्य व राष्ट्रिय कार्यकारिणी सदस्य), दीपक शर्मा (सदस्य) सब गोटे पच्चास सँ अस्सी के संख्या में पहुँचल नव सदस्य सब के बखूबी संस्थाक एक एक पहलू सँ अवगत करेलाह।

संस्थाक द्वारा चलायल जा रहल संस्कारशालाक संख्या /गुणवक्ता में बढ़ोतरी,सदस्यता अभियान में बढ़ोतरी, कोषक व्यवस्था, अंदरूनी सशक्तिकरण आदि मुद्दा पर गंभीरता सँ विचार कयल गेल ।

नव सदस्य आ किछु आनो संस्थाक अधिकारी लोकनि उपस्थित भेलाह आ सब सदस्य ऐना घुइल मिल एक दोसरक संग सुच्चा मैथिल संस्थाक प्रति उत्साहित छलाह ,जे देखते बनैत छल ।सब सदस्य सुच्चा मैथिल संस्थाक लक्ष्यप्राप्ति धरि साथ रहब आ संघर्ष करब तकर भरोसा दयत रहलाह ।

बैसार में तेजी मंडल, दीपक शर्मा, मनोज मंडल, अबोध कुमार, अशोक मंडल, दिगम्बर शर्मा, बैजनाथ मंडल, दुर्गान्द मंडल, लालबाबू यादव, राजकुमार मंडल, ललित महतो, रामविलास मंडल, सुरेंद्र मंडल, नरेश कुमार मंडल, सुशील कुमार मंडल आदि सदस्य सब उपस्थित भेलाह।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने