नोटबंदी से GDP क' 1.5 लाख करोड़ टाकाक नुकसान : पी.चिदंबरम

नई दिल्ली। 13 फरवरी। यूपीए सरकार मे वित्त मंत्री रहल पी.चिदंबरम नोटबंदी क' 2016 के सभसँ पैघ घोटाला करार दैत कहलैन कि नोटबंदी के कारण GDP क' 1.5 लाख करोड़ टाका केर नुकसान भेल अछि। नोटबंदी के कारण 2016-17 मे देशक आर्थिक वृद्धि दर 6-6.5 प्रतिशत रहबाक अनुमान छल जे कि सीएसओ व आरबीआई के पूर्वानुमान से बहुत कम अछि।केंद्रीय सांख्यिकी संगठन (सीएसओ) 2016-17 मे वृद्धि दर 7.1 प्रतिशत आ रिजर्व बैंक 6.9 प्रतिशत रहबाक अनुमान लगौलन्हि अछि।

चिदंबरम एक कार्यक्रम के दौरान कहलैन कि हमरा ई अनुमान लगबैत दुःख भ' रहल अछि कि 2016-17 मे वृद्धि दर 6 से 6.5 प्रतिशत के बीच रहत, जे कि पूर्वक अनुमान से ठीक एक प्रतिशत कम अछि। ऐहिक मतलब अछि जीडीपी पर 1.5 लाख करोड़ टाकाक चोट। इस बरख जीडीपी 150 लाख करोड़ टाका अछि एहिमे एक प्रतिशत चोट केर मतलब अछि  1.5 लाख करोड़ टाकाक नुकसान। प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीक नाम बिना लेना पूर्व वित्त मंत्री पी.चिदंबरम कहलैन कि किनको दिमाग मे विचार आयल आर ओ टेलीविजन पर नोटबंदीक घोषणा क' देलैन्ह जाहिसे (जीडीपी के) 1.5 लाख करोड़ टाकाक चोट पहुँचल अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ