भाजपाक प्रदेश अध्यक्ष नित्यानंद राय केर विवादित बयान, लालू पीपड़क गाछ, ओहिपर बैसल 'गिद्ध'

मधेपुरा। 13 फरवरी। भाजपाक प्रदेश अध्यक्ष नित्यानंद राय कैल्ह रविवार दिन विवादित बयान देलन्हि अछि। ओ राजद प्रमुख लालू प्रसाद केर नाम लेना बगैर इशारा मे कहलैन कि ओ पीपड़क गाछ छैथ। नित्यानंद राय मुख्यमंत्री नीतीश कुमार दिस इशारा करैत कहलैन कि एहि गाछ पर गिद्ध बैसल अछि। आब एहि गाछक सुखनाय तय अछि।

शहर के रास बिहारी हाई स्कूलक मैदान पर आयोजित जन सभा क' संबोधित करैत भाजपा के प्रदेश अध्यक्ष नित्यानंद राय कहलैन कि पिछड़ा वर्ग आयोग केर गठन करबामे कुनु समाजवादी नहि, बल्कि अटल बिहारी बाजपेयी बेर - बेर प्रस्ताव राखने छला। जखन वीपी सिंह केर  सरकार बनल तेँ मंडल आयोग केर सिफारिश क' अटले जी लागू करबेने छल। मुदा, भ्रम पसैर भाजपा क' आरक्षण केर विरोधी कहल जे रहल अछि। 

नित्यानंद राय आगा कहलैन कि ऐताके लाखों यदुवंशी हमरा अप्पन अर्जुन बना आर्शीवाद दैथ। हम राज्य केर धरती से अत्याचारि, पापि आर गौ हत्यारा सभक नामो निशान मिटा देब। भाषण केर दौरान प्रदेश अध्यक्ष बेर - बेर यदुवंशि सभके जगबैत कहलैन कि जे 'पीपड़' पूर्व मे लगाओल गेल छल, ओहिपर गिद्ध बैस चुकल अछि, ओ सुखबाक कगार पर अछि। आब नवा पीपड़ लगाऊ। आगा ओ इयो कहलैन कि आम जनता साथ दिए ते मधेपुरा क' सेहो वृंदावन व मथुरा बना देब।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने