मंदिरक देबाल से टकरायल आॅटो, एकहि परिवारक 6 लोगक मौत

कटिहार। 16 फरवरी। कटिहार जिला के कुर्सेला थाना क्षेत्रा मे आधा रातिक बाद तक़रीबन तीन बजे एक आॅटो रिक्शा अनियंत्रित भ' सड़क कात बनल एक मंदिरक देबाल से टकरा गेल, जाहिसे ओहिमे सवार एकहि परिवारक 6 लोगक मौके पर मौत भ' गेलैन्ह। घटना मे आन 4 गोता गंभीर रुपे घायल बताओल जे रहल अछि। 

कुर्सेला थाना प्रभारी विनोद कुमार कहला कि आधा रातिक बाद तक़रीबन तीन बजे भेल एहि हादसा मे मृतक मे कंचन देवी 32, पद्मा देवी 52, संजय सिंह 37, रीना देवी 33, नीरज कुमार 18 आर अनिकेत 4 बरख शामिल अछि। सभ शव के पोस्टमार्टम लेल भेज देल गेल अछि। घायल सभके इलाजक लेल कटिहार सदर अस्पताल भेजल गेल अछि। घायल सभमे 2 केर हालत चिंताजनक बताओल जे रहल अछि।

थाना प्रभारी विनोद कुमार कहला कि आॅटो रिक्शा पर सवार ई सभ लोग मृतक मे शामिल चार वर्षीय नेना अनिकेत केर मुंडन करा देवघर से पूर्णिया जिलामे अप्पन गाम ग्वालपाडा आबैत रहैथ। मृतक मे अनिकेत के पिता संजय सिंह आ माता रीना देवी सेहो शामिल अछि।

बताओल जे रहल अछि कि हादसे से ठीक पहिने आॅटो रिक्शा चालक गाड़ी से फांगीके फरार भ' गेला। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने