पुलिस के एक आन वरिष्ठ अधिकारी कहला कि सुधीर कुमार क' पड़ोसी राज्य झारखंड से गिरफ्तार कायल गेल अछि आओर पकड़ल गेल 4 आन लोग मे हुनकर भांजा आओर भतीजा सेहो शामिल अछि। एहि बिच IAS असोसिएशन सुधीर कुमार के गिरफ्तारीक विरोध करैत मामला केर निष्पक्ष करेबाक लेल एहिके CBI क' सौपबाक मांग केलन्हि अछि। कैल्ह शुक्रवार सांझ असोसिएशन के एक शिष्टमंडल हुनकर शीघ्र रिहाई केर मांग ल'के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार से मिले पहुँचल।
उल्लेखनीय अछि कि पिछला 6 फरवरी क' मुख्यमंत्री नीतीश कुमार प्रदेश के मुख्य सचिव अंजनी कुमार सिंह आओर पुलिस महानिदेशक पी. के. ठाकुर क' मामला के जांच करबाक निर्देश देना छल जाहिक बाद पुलिस महानिदेशक केर जांच रिपोर्ट आओर मुख्य सचिव के अनुशंसा पर पिछला 8 फरवरी क' मुख्यमंत्री एहि परीक्षा के रद्द करबाक घोषणा केना छल।
एहि मामलाक जांच लेल पटना के वरिष्ठ पुलिस अधीक्षक मनु महाराज केर नेतृत्व मे गठित SIT पिछला 8 फरवरी के सांझ BSSC के सचिव परमेश्वर राम क' गिरफ्तार करि न्यायिक हिरासत मे पटना स्थित बेउर जेल भेजना छल। एहि मामला मे कैल्ह शुक्रवार दिन सुधीर कुमार आओर 4 आन केर गिरफ्तारीक संग SIT द्वारा 2 दर्जन से बेसी लोग क' गिरफ्तार कायल जे चुकल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।