कन्हैया के बाद आब ‘भगवान शंकर’ के रूप मे देखार देला लालू पुत्र तेजप्रताप

पटना। 25 फरवरी। राष्ट्रीय जनता दल (राजद) के अध्यक्ष लालू प्रसाद यादव के बेटा आओर बिहार के स्वास्थ्य मंत्री तेज प्रताप यादव के भगवान शिव अवतार रूप सोशल मीडिया पर चर्चा के विषय बनल अछि। महाशिवरात्रि पर तेज प्रताप अप्पन फेसबुक पेज पर एक वीडियो शेयर केलैन्ह, जाहिमे ओ खुद क' भगवान शंकर के रूप मे देखने छैथ। तेज प्रताप एहि वीडियो मे भगवान शंकर जेहेन कपड़ा पहिरने छैथ। एक दृष्य मे ओ भगवान शंकर जोका कैलाश पर्वत पर तपस्या केर मुद्रा मे देखार द' रहल छैथ।

वीडियो पोस्ट करैत तेज प्रताप लिखने छैथ कि 'कर्ता करे न कर सकै, शिव करै सो होय। तीन लोक नौ खंड में, महाकाल से बड़ा न कोय, जय जय श्री महाकाल जगदंम्बा शिवोहम्....हर हर महादेव..'

अपने के बता दी तेज प्रताप एहीसे पहिनो अप्पन अंदाज लेल चर्चा मे रहल छैथ। नवा साल के मौका पर ओ भगवान श्रीकृष्ण जेहेन कपड़ा पहिर मीडिया के समक्ष आयल छला। ऐहिक अलावा तेज प्रताप जिलेबी आओर  तरकारी बनबैत सेहो देखार देना छला।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने