मधुबनी जिलाक अंतरगर्त कलुआही प्रखंड के भलनी गाँव स्थित हाई स्कूल के हालत बद से बत्तर भ' गेल अछि। एहिठाम नहिये कुनु छात्र सभके कुनु शिक्षा दीक्षा देल जायत अछि नहिये कुनु सुविधा किएक जे स्कूल खुदे असुविधाक शिकार बनल अछि। एहि स्कूलमे नामक लेल रजिस्टर पर एक हजार छात्र नामांकित अछि, मुदा भवन नहि होयबाक कारण समस्या गम्भीर बनल अछि। भवन लेल शिक्षा विभाग सँ ल'के शिक्षा मंत्री तक गुहार लगाओल गेल लेकिन किनको ध्यान एहि दिस नहीं गेल।
2015 ई० मे भूकंप के झटका मे भेल ध्वस्त हाई स्कूल केर भवन आय धरी नहि बनाओल गेल, जाहिसे स्कूल प्रशासन के संगे संग छात्र लोकनि परेशान रहैत छैथ। एहेन जर्जरता के उपरान्त स्कूल मे दुई सिटिंग मे पढ़ाई होयत अछि। पहिल सिटिंग दस बजे से एक बजे तक नौवां क्लास के होयत अछि आओर दोसर सिटिंग एक बजे के बाद से दसवाँ क्लास के होयत अछि। हाई स्कूल के प्रधानाध्यापक जगदीश नंदन झा ने कहला की +2 के भवन लेल शिक्षा मंत्री क' कैको बेर लिखलहुँ, ऐता धरी कि बेनीपट्टी विधायिका क' सेहो लिखित रूपे जानकारी देलहुँ। मुदा कुनु सुनवाई नहि भेल।
वर्तमान सरकार शिक्षाक प्रति समाज के जागरूक करैत अछि, मुदा शिक्षा केर दुर्दशा ई अछि कि पढ़ाई केर नाम पर खानापूर्ति कायल जे रहल अछि। यदि एहने हाल शिक्षाक रहल तेँ आबै बला पीढ़ी सरकार आओर शिक्षा विभाग केर क्रिया कलाप के कहियो माफ नहि करत। आब देखबाक ई अछि कि स्कूल केर हालात कहिया धरी सुधरैत अछि ताकि छात्र सभक भविष्य सवैर सके।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।