लाखो टाका खर्च केलाक बादो पंचायत सरकार भवन पड़ल अछि बेकार

सहरसा। 14 फरवरी।  प्रखंड क्षेत्र मे लाखों टाकाक लागत से तीन पंचायत सरकार भवन केर निर्माण तेँ कराओल गेल, मुदा एहि भवन सभमे पंचायत केर सरकार नहि चैल रहल अछि। जाहि कारण से ई भवन आब  खंडहर बनल जे रहल अछि। 

जानकारी केर मुताबिक गोलमा पूर्वी आ किसनपुर पंचायत मे सरकार भवन बैन के तैयार भ' गेल अछि। करीब तीन बरख पूर्व सरकारी स्तर पर भवन केर अधिग्रहण सेहो कायल गेल छल। लेकिन आय धरी ओहि भवन के सरकारी स्तर पर उपयोग नहि कायल गेल अछि। ई भवन सभ असमाजिक तत्व सभक शरणस्थली बनल जे रहल अछि। दोसर दिस किसनपुर मे बनल पंचायत सरकार भवन के कैको केबार आर खिड़की टूईट गेल अछि। जखनकि गोलमा पूर्वी मे बनल सरकार भवन  कैको जगह क्षतिग्रस्त भ' गेल अछि। 

सरकारी घोषणा के अनुसार पंचायत भवन मे पंचायत स्तर के कर्मचारि सभके अप्पन कार्यालय केर संचालन करबाक छल। मुदा भवन बनलाक बादो एखन धरी ई संभव नहि भेल अछि। पंचायत सरकार भवन के उपयोग हेतु कार्रवाई कायल जे रहल अछि। पंचायत स्तर के सरकारी कर्मचारि सभके अप्पन कार्यालय रखबाक निर्देश देल गेल अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने