दबंग के दबंगई, आलू नहि देबा पर घर मे लगा देलैन्ह आगि

बेगूसराय। 14 फरवरी। बेगूसराय जिला से एक सनसनीखेज खबैर प्रकाश मे आयल अछि, जता महज अस्सी किलो आलू नहि देबा पर दबंग सभ एक घर मे आगि लगा देलैन्ह आ माईरपीट सेहो केलैन्ह। मामला लाखों थाना क्षेत्र के पंचपन टोला के अछि, जते शत्रुघन सिंह अप्पन खेत से आलू उखैर घर आन्लैन्ह।

बताओल जे रहल अछि शत्रुघन सिंह के पड़ोसी द्वारा आलू केर मांग कायल गेल छल, जखन पीड़ित शत्रुघन सिंह आलू देबा से इनकार क' देलैन्ह तेँ देर रति दबंग पड़ोसी के द्वारा हुनका घर मे आगि लगा परिवारक सदस्य सभक संग माईरपीट कायल गेल। 

इस घटना मे 4 लोग घायल बताओल जे रहल अछि। फिलहाल पुलिस मामला दर्ज करि छानबीन क' रहल अछि आर अपराधी सभके पकड़बाक लेल छापामारी जारी अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने