ई मामला सुर्ख़ि मे तखन आयल जखन आरजेडी विधायक सुरेंद्र यादव कहलैन कि जाहि तरिकासे उत्तर प्रदेश मे अखिलेश यादव नीक ढंग सँ सरकार चला रहल छैथ, ओहितरहे बिहार मे तेजस्वी यादव सेहो सरकार चला सकैत छैथ। वक्त आइब गेल अछि कि तेजस्वी क' आब मुख्यमंत्री बनाओल जाए।
विधायक सुरेन्द्र यादव के बातके आरो दम भेटल जखन राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद एहि मामला मे अप्पन गप राखला। हाजीपुर मे लालू यादव पत्रकार सभक सवाल के जवाब दैत कहलैन कि अखिलेश यादव आर तेजस्वी यादव भविष्य के मुख्यमंत्री अछि। किएक जे ओ खुद आर समाजवादी पार्टी के मुलायम सिंह यादव अब बूढ़ भ' चुकल छैथ।
अपने के बता दी कि लालू यादव फिलहाल ई साफ क' देलैन्ह कि एखन बिहार मे मुख्यमंत्रीक कुर्सी लेल कुनु वैकेंसी नहि अछि, किएक जे नीतीश कुमार मुख्यमंत्री छैथ आर सरकार चला रहल छैथ।
तेजस्वी क' मुख्यमंत्री बनेबाक मांग पर सांझ धरी जनता दल यूनाइटेड दिस से सेहो ओहि सभ आरजेडी विधायक क' जवाब देल गेल, जे तेजस्वी क' मुख्यमंत्री बनेबाक गप उठेना छला। जदयू प्रवक्ता नीरज कुमार कहलैन की बिहार चुनाव से पहिने लालू प्रसाद नीतीश कुमार क' महागठबंधन के नेता मानने छला, ऐनामे बिहार मे मुख्यमंत्री के लेल वैकेंसी नहि अछि।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।