मुम्बई। 21 फरवरी। मैथिली - भाषा अति प्राचीन, पूर्वज प्रदत्त अनमोल धरोहर आओर माधुर्यतासँ आप्लावित मीठगर भाषा अछि। भाषा संस्कृति व संस्कार केर उद्गम - स्थलीक मेरूदण्ड थिक। भाषा करोड़ों व्यक्तिक मूल पहचान थिक।
मिथिलांचलक मधुरतम भाषा मैथिली, तावत् धरि बिलखैत रहतीह जावत् धरि गाम - घर तथा प्रवासमे रहनिहार मैथिल लोकनिक कंठक भाषा नञि बनत । मैथिली भाषाक उत्थान मिथिलाक सांस्कृतिक उत्थान थिक तथा मिथिलांचलक मैथिल लोकनिक स्वाभिमानक उत्थान थिक। अत्यन्त मधुर आओर प्रिय भाषा मैथिलीक संरक्षण व संवर्द्धनक आवश्यकताकें अनिवार्य रूपसँ नियोजित करबाक अहम् दायित्वकें हृदयमे धारण करबाक संकल्प ली।
आऊ, भाषा दिवस केर अवसर पर हमरालोकनि सामूहिक संकल्प ली जे घर - घरमे धिया - पुताके संग, श्रेष्ठ अभिभावकके संग तथा सर - कुटुम्बके संग मैथिलीमे गप्प - सप्प करी। जय श्री हरि।
जय मिथिला ! जय मैथिली !! जय भारत !!!
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।