सहरसा (बनगाँव)। 22 फरवरी। [पारस कुमार झा] बुद्धिजीवी विचार मंच केर तत्वावधान मे सहरसा जिलाक बनगाँव गाम मे कैल्ह साँझ बनगाँव के पवित्र धरा बाबाजी कुटी मे मातृभाषा दिवस के परिप्रेक्ष्य मे श्री बिरेन्द्र खाँजी के अध्यक्षता आओर श्री शशिधर ठाकुर के संचालनमे श्री विक्रमादित्य खाँ, श्री शुभंकर ठाकुर, श्री विश्वनाथ खाँ, मैथिली अभियानी श्री सुभाष चन्द्र झा, श्री सुरेश मिश्र, श्री अरविन्द खाँ, सुमन समाज, जयराम झा, भरत झा, संजीव झा, विजय वर्द्धन सहित विद्वद्जन मैथिली भाषा आ लिपि केर विकासक लेल अप्पन -अप्पन विचार प्रस्तुत केलनि।

श्री हरेकृष्ण मिश्र, श्री नीलाम्बर झा, श्री जयकृष्ण पाठक, श्री श्याम नारायण खाँ, श्री चिरंजीव मिश्र, श्री कैलाश चन्द्र खाँ, श्री प्रमोद नारायण खाँ, श्री बिन्देश्वर खाँ सहित ग्रामीणजनक गरिमामयी उपस्थिति मे सर्व सम्मति सँ निर्णय लेल गेल जे आबसे कुनु तरहक सरकारी काजक लेल आवेदन मैथिली मे देवाक, मैथिलीक संवर्धनक लेल नियमित कार्य, विद्यालय मे मातृभाषा मे पठ्न-पाठन काज आओर नियमित समीक्षात्मक बैठकक आयोजन करब निश्चित होमय।
उपस्थित गणमान्य लोकनि द्वारा गत दूई - तीन माह सऽ गाम मय भेल चोरिक घटना के प्रति पुलिसक उदासीनता के देखैत सर्वसम्मति से बनगाँव थानाध्यक्ष के मैथिली मे सामुहिक आवेदन देवाक निर्णय लेल गेल। आगामी छब्बीस फरवरी के साँझ भगवती घर मे मातृभाषाक विकासक लेल एक बैठकक आयोजन करबाक निर्णय संग कैल्ह के सभाक समापन भेल।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।