मिथिलाक्षर साक्षरता प्रतियोगिता आओर चित्रकला प्रतियोगिताक सफल आयोजन संपन्न भेल

सहरसा। 27 फरवरी। कैल्ह सांझ सहरसा जिलाक बनगाँव गामक भगवती घर (दुर्गा स्थान) मे 'मिथिला संस्कृति संरक्षण एवं शोध परिषद' बनगाँव केर तत्वावधान आओर 'सुफल सेवा संस्थान' बनगाँव केर सहयोग सँ मिथिलाक्षर साक्षरता प्रतियोगिता आओर चित्रकला प्रतियोगिता केर सफल आयोजन संपन्न भेल। एहि दुनु प्रतियोगिता मे जते मिथिलाक्षर साक्षरता प्रतियोगिता मे 299 प्रतियोगी भाग लेलनि ओतहि चित्रकला प्रतियोगिता मे कुल 105 प्रतियोगी भाग ल' दुनु प्रतियोगिताक प्रति खूब उत्साह देखेलनि।
प्रोफेसर श्री अभिमन्यु खाँ केर अध्यक्षता मे सम्पन्न भेल एहि आयोजन केर मंच संचालन सुफल सेवा संस्थान के सचिव श्री पारस कुमार झा द्वारा संचालित काएल गेल। श्री महावीर झा केर स्वागत सँ प्रारम्भ भेल कार्यक्रमक केर मुख्य अतिथि प्रोफेसर श्री रामनरेश सिंह छला, ओतहि विशिष्ट अतिथिक रूपमे श्री संजीव कुमार झा (पूर्व बीजेपी विधायक), श्री सुभाष चंद्र झा, प्रो. श्री अरविंद मिश्र नीरज, प्रो. गौतम कुमार आओर श्री सुदीप कुमार सुमन मंच पर उपस्थित छला। 
कार्यक्रम मे श्री शशिधर ठाकुर, चमन कुमार झा, श्री शक्तिनाथ मिश्र, राजकुमार मिश्र संगे बहुत रास उपस्थित गणमान्य लोकनि अप्पन वक्तव्य मे मिथिलाक्षर आओर मिथिलाक विकासक लेल मैथिलवृन्द के प्रोत्साहित केलैन्ह। श्री सुमन खाँ 'समाज' के धन्यवाद ज्ञापनक बाद कार्यक्रम केर समापन भेल। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने