केंद्रीय मंत्री उपेंद्र कुशवाहा नीतीश कुमार क' बिहारक लेल शोक आओर अभिशाप कहलनि

नई दिल्ली। 27 फरवरी। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार द्वारा 'गंगा मैया' लेल प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी पर कायल गेल व्यंग्य पर पलटवार करैत केंद्रीय मंत्री उपेंद्र कुशवाहा कैल्ह रविवार दिन नीतीश कुमार के बिहारक लेल  अभिशाप करार देलैन्ह। केंद्रीय मंत्री कहलनि कि नीतीश कुमार बिहारक लेल शोक आओर अभिशाप साबित भ' रहल छैथ। ओ 2008 मे कोसी मे आयल बाढ़ि से प्रभावित भ' लोग सभसे कायल गेल वादा पूरा नहि केलैन्ह। 

राष्ट्रीय लोक समता पार्टी (आरएलएसपी) चीफ आओर मानव संसाधन विकास राज्य मंत्री कहलनि कि पीड़ित परिवार एखनहुँ सरकारक मदद आओर सहयोग केर बाट जोहि रहल अछि। अपने के बता दी कि नीतीश कुमार पिछला शनिवार दिन 'अविरल गंगा' अंतरराष्ट्रीय सम्मेलन के दौरान कहलनि कि प्रधानमंत्री मोदी 2014 मे कहने छला कि 'मां गंगा हमरा बजौलनि अछि।' नीतीश कुमार आगा कहने छला कि हालही मे जखन हम वाराणसी गेलहुँ, तेँ लोग सभ कहैत छला कि गंगा मैया अप्पन बेटा के हेर रहल छथि।

एम्हर, कुशवाहा कहलनि कि बिहारक जनता राज्य सरकार से खुश नहि अछि जे हर मोर्चा पर विफल साबित भेल अछि चाहे कानून-व्यवस्था के  बात होय वा पेपर लीक स्कैम मामला। कुशवाहा बिहार स्टाफ सिलेक्शन कमिशन (बीएसएससी) के पेपर लीक मामला उठबैत कहलनि  उठाते कि घोटाला मे मंत्री आओर विधायक सभक संलिप्तता केर खुलासा होबाक चाही आओर गिरफ्तारी होबाक चाही। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ