दरभंगा। 25 फरवरी। लहेरियासराय थाना क्षेत्र के मोगलपुरा मोहल्ला मे भाई बहिनक शव भेटला से इलाका मे सनसनी पसरल अछि।
मानसिक रूप से कमजोर भाई क' घरमे रस्सी सँ लटकैत देख बहिन के एतेक सदमा पहुंचलैन्ह कि ओ बगल के गंगासागर तलाब मे जा छलांग लगा देलीह। जाधरि मोहल्ला के लोग हुनका बचेबाक लेल तलाब धरी पहुँचल हुनकर डुबला से मैत भ' गेलैन्ह। मृतक के नाम सबाना आओर सहजादे बताओल जे रहल अछि। घटना के जानकारी भेटते मौका पर पहुँचल पुलिस दुनु शव के कब्ज़ा मे ल' जांच शुरू क' देलैन्ह।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।