आलू लादल ट्रक से 2100 पाउच देसी शराब बरामद, 2 गिरफ्तार

पटना। 20 फरवरी। बिहार मे शराबबंदी कानून लागू होयबाक बावजूद शराब भेटबाक सिलसिला रुकबाक नाम नहि ल' रहल अछि। ताजा मामला पटना सिटी के मलसलामी थाना क्षेत्र के झिझरी बाग इलाके मे सामना आयल अछि। शराब तस्करी के तरीका एहेन छल कि पुलिस सेहो चौक गेलनि। तस्कर शराब क' एक आलू लादल मिनी ट्रक मे नुका लाबैत छल। शराबक पाउच क' आलूक बोड़ा के बीच नुकाओल गेल छल। ताकि किनको भनक नहि लागैन्ह।

दरअसल पुलिस क' एक गुप्त सूचना भेटल छल कि तस्कर शराब के बड़का  खेप झारखंड से आनि रहल छैथ। जाहि पर कार्रवाई करैत पुलिस छापामारी के अंजाम देलन्हि। छापामारी के दौरान ट्रक से झारखंड निर्मित 2100 पाउच शराब बरामद भेल। एहि प्रकरण मे 2 लोग के सेहो गिरफ्तार कायल गेलन्हि।

पुलिस सूत्र केर मुताबिक पुलिस आलू के 9 बोड़ा से कुल 2100 शराबक पाउच बरामद केलन्हि अछि। ओतहि पुलिस एहि मामला मे गिरफ्तार लोग सभसे पूछताछ क' रहल अछि। जाहिक आधार पर आगू कार्रवाई कायल जायत। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने