कोसी नदी के डेंगराही घाट पर पुल निर्माणक मांग लेल आमरण अनशन

सहरसा। 20 फरवरी। सिमरीबख्तियारपुर अनुमंडल के सलखुआ प्रखंडक पूर्वी कोसी तटबंध के भीतर डेंगराही घाट मे सामाजिक कार्यकर्ता बाबू लाल शौर्य केर नेतृत्व मे अनिश्चितकालीन आमरण अनशन शुरू कायल गेल अछि। एहि मौका पर बाबू लाल शौर्य कहला कि कोसी नदी के डेंगराही घाट पर पुलक निर्माण, चिड़ैया आ बेलाही के बीच पुलिया निर्माण, कमला नदी पर सुगरकोल घाट ग्राम झीमा पंचायत आनंदपुर माडल ग्राम झीमा लग  कमला के मूल धार पर पुल निर्माण केर अलावा आबादी के हिसाब से अस्पताल, उच्च व महाविद्यालय केर निर्माणक मांग जाधरि पूरा नहि होयत ताधरि आमरण अनशन जारी रहत। 

बाबू लाल शौर्य केर नेतृत्व मे पुल सड़क निर्माण संघर्ष मोर्चा के कैलाश पासवान आओर जन संघर्ष मोर्चा अभियान के सुभाषचंद्र जोशी केर संयुक्त तत्वावधान मे शुरू भेल अनशन मे ईश्वर चौधरी व दीनानाथ पटेल शामिल छैथ। ओतहि अनशनकारि सभक समर्थन मे जिला परिषद सदस्य ओमप्रकाश नारायण, सुनील यादव, जवाहर सिंह, नेपाली बाबा, जुगेश्वर यादव, जीवेश पासवान, नागेश्वर चौधरी, मोहन सिंह, विद्यानंद सिंह, सीता देवी, सुनैना देवी आदि मौजूद छलैथ। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने