आय होयत चारा घोटाला मामला मे लालू पर ‘सुप्रीम’ सुनवाई

पटना। 20 फरवरी। चारा घोटाला मामला मे लालू प्रसाद केर खिलाफ सीबीआई याचिका पर आय सुप्रीम कोर्ट मे सुनवाई होयत। सीबीआई झारखंड हाई कोर्ट केर फैसला के सुप्रीम कोर्ट मे चुनौती देना छल। 950 करोड़ टाका के चारा घोटाला मे सीबीआई मामला दर्ज केना छल। 

दरअसल, झारखंड हाईकोर्ट नवंबर 2014 मे लालू क' राहत दैत हुनका पर लागल घोटाला केर साजिश रचबाक आरोप हटा देना छल। हाईकोर्ट अप्पन फैसला मे कहने छल कि एकहि अपराधक लेल कुनु व्यक्ति क' 2 बेर सजा नहि देल जे सकैत अछि। ओनाकि फैसला मे इयो कहल गेल छल कि लालू यादव केर खिलाफ भारतीय दंड संहिता (आईपीसी) के दुइ आन धारा केर  तहत मुकदमा जारी रहत। 

अपने के बता दी कि सीबीआई राजद प्रमुख के खिलाफ आरोप हाटेबा क' शीर्ष अदालत मे चुनौती देना छल, जाहिक सुनवाई केर दौरान यादव के  पैरवी क' रहल वरिष्ठ अधिवक्ता राम जेठमलानी दलील देना छल कि सीबीआई फुइस फटक अर्जी दाखिल केना अछि आओर तथ्य के नुकेने छैथ। 

जेठमलानी उच्च न्यायालय के आदेश क' चुनौती देबा मे भेल देरी पर सेहो  सवाल ठाढ़ केना छला। ओ कहने छला कि पहिने ई तय करबाक चाही कि सीबीआई के याचिका सुनवाई योग्य अछि वा नहि। 

करीब 950 करोड़ टाका के चारा घोटाला के केस मे लालू प्रसाद यादव के अलावा बिहार के पूर्व मुख्यमंत्री जगन्नाथ मिश्र, जेडीयू सांसद जगदीश शर्मा समेत 45 आरोपी अछि। सभ पर चाईबासा कोषागार से 37.7 करोड़ टाका केर अवैध निकासी केर आरोप अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने