दिल्ली। 03 फरवरी। देशक पूर्व रेलमंत्री आ मिथिलांचलक सबसे पैघ राजनेता रहीचुकल ललित नारायण मिश्र केर जयंती राष्ट्रीय राजधानी मे खूब धूमधाम सँ 'ललित दिवस' के रूप मे मनाओल गेल। एहि अवसर पर बहुत रास विशिष्ट व्यक्ति सभके ललित सम्मान से सेहो सम्मानित कैल गेलैन्ह। समारोह मे ललित नारायण मिश्रक पौत्र राहुल मिश्र सेहो पहुंचल छला। समारोह के संबोधित करैत राहुल मिश्र कहला कि ललित बाबू के योगदान के मिथिलांचल कहियो नहि बिसैर सकैछ। हुनके प्रयास सँ मिथिला (मधुबनी) पेंटिंग क' विश्व स्तर पर पहचान भेटल। मिथिला आय उपेक्षित अछि, मुदा मिथिलाक जे किछ विकास भेल, ओ ललित बाबू के देन अछि।
समारोह के मुख्य अतिथि आ साहित्य अकादमी पुरस्कार सँ सम्मानित मैथिली कथाकार व कवयित्री डॉ. शेफालिका वर्मा युवा मैथिल पत्रकार सुधीर झा, दिल्ली विश्वविद्यालय मे प्रोफेसर पंकज मिश्रा, दिल्ली मे सत्तारूढ़ आम आदमी पार्टी (आप) के विधायक संजीव झा, मैथिल गायक आ अभिनेता सहित किछ आन लोग सभके ललित सम्मान से सम्मानित केलैन्ह। एहि सभ विशिष्ट व्यक्ति सभके पुरस्कार के रूप मे प्रशस्तिपत्र, पाग आ दोपटा (शॉल) प्रदान कायक गेलैन्ह।
एहि अवसर पर आकाशवाणी के पूर्व निदेशक एवं साहित्य अकादमी पुरस्कार विजेता कवि डॉ. गंगेश गुंजन सेहो उपस्थित छला।
एहि आयोजन के आयोजक मिथिलालोक फाउंडेशन के चेयरमैन बीरबल झा कहला कि ई सम्मान मिथिलांचल क्षेत्रक विकास लेल कायल जेल प्रयासक लेल देल गेल अछि। मिथिलांचलक सामाजिक-आर्थिक विकास मे जिनका सभक अहम योगदान छैन्ह हुनका सभके सम्मान देबाक फैसला कायल गेल छल। आगा श्री झा कहला की हुनकर संस्था "मिथिलालोक फाउंडेशन" मिथिलांचलक विकासक लेल काज करनिहार के आगा सेहो सम्मानित करैत रहत।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।