सहरसा। 03 फरवरी। जिला के बख्तियारपुर थाना के सैनीटोल मे कैल्ह गुरुवार राति गैस रिसाव होयबासे 2 नाबालिग छात्र केर मौत भ' गेलैन्ह। मृतक प्रभात कुमार (15) आ कुंदन कुमार (14) दुनु चचेरा भाई पंचायत सिमरी बख्तियारपुर के सैनीटोल मे अप्पन पैतृृक आवास मे रही पढ़ाई करैत छलाह। दुनु के मूल घर सलखुआ थाना के गौरदह गाम मे अछि। रति मे गैस पर खाना बनैत छल कि गैस रिसाव भेला से आएग लागि गेल।आएग लगबाक कारण दुनु भाई झुलसी गेला, जाहिसे दुनु के मौत भ' गेलैन्ह।
घटना केर सूचना पर बख्तियारपुर पुलिस घटनास्थल पर पहुंच केबार तोड़ी दुनु शव निकैल पोस्टमार्टम लेल सहरसा भेज देलैन्ह।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।