23 बरख पहिने छात्र सभक लेल बनल हॉस्टल मे आय चलैत अछि थाना

समस्तीपुर। 18 फरवरी। समस्तीपुर के पटोरी मे गुलाब बबुना स्कूल के छात्रावास पर छात्र सभक बदला फिलहाल पुलिस केर कब्ज़ा अछि। बरख  1994 मे बिहार के तत्कालीन मुख्यमंत्री लालू प्रसाद एहि छात्रावास केर उद्घाटन केना छला। मुदा आय धरी ई छात्रावास छात्र सभके नसीब नहि भेलैन्ह।

शुरूआती दौर मे ऐता अनुमंडल कार्यालय चलैत छल आब पटोरी थाना संचालित अछि। स्कूल के छात्र आफताब आलम कहला कि लाख प्रयासक बादो छात्र सभके हॉस्टल मे कमरा नहि भेटैत अछि जाहि कारण छात्र सभके मजबूरी मे किराया केर मकान मे रहे पड़ैत अछि।

आफताब केर मुताबिक हॉस्टल मे पहिने अनुमंडल कार्यालय चलैत छल जता आब थाना चलैत अछि। एहि मामला मे जखन हाई स्कुल के प्रभारी प्रधानाचार्य शत्रुघ्न चौधरी से पुछल गेल तेँ ओ कहला कि जहिया से हॉस्टल बनल अछि स्कूल क' आवंटित कायले नहि गेल। 

उदघाटन के बादे से एहिमे पहिने एसडीओ केर कार्यालय चलल आ  वर्तमान मे ऐता पटोरी थाना चलैत अछि जहिसे छात्र सभके कुनु लाभ नहि भेटल। हद तेँ तखन भेल जखन कैको बरख से छात्रावास मे थाना चलबाक बात से विभाग यानि शिक्षा विभाग अनभिज्ञ देखार देलनि। 

जिला शिक्षा पदाधिकारी बीके ओझा कहला कि हुनका एहि बातक जानकारी नहि अछि जांच कराओल जायत आ पुलिस विभाग से छात्र सभक हितके ध्यान मे राखैत खाली करबाक अनुरोध कायल जायत।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ