ई पुच्छल पर कि शहाबुद्दीन क' दिल्ली कुनु उड़ान या ट्रेन सँ ल' जायल जायत? एहि पर आनंद ई खुलासा करबा से इनकार केलैन्ह। ओ कहला कि जाहि पकारे हुनका सीवान से पटना आनबाक क्रम मे गोपनीयता राखल गेल ओहि प्रकार से आगूओ राखल जायत। आगा ओ कहला कि सीवान से हुनका पटना आनबाक बारे मे ओता के जिलाधिकारी, पुलिस अधीक्षक आ विशेष कार्यबल के महानिरीक्षक सहित दुइ-तीन आन कर्मि सभके छोईड़ किनको लग जानकारी नहि छल। हम सभ एकरा कार्यान्वित करबाक दृष्टिकोण के संगे आन कारण से सेहो गुप्त राखी रहल छी।
उल्लेखनीय अछि कि गत 15 फरवरी क' सुप्रीम कोर्ट सीवान निवासी चंद्रकेश्वर प्रसाद जिनकर 3 बेटाक हत्या क' देल गेल छल, पत्रकार राजदेव रंजन जिनकर हत्या गत वर्ष कायल गेल छल, हुनक पत्नीक अनुरोध पर शहाबुद्दीन सँ जुड़ल मामल सभक निष्पक्ष सुनवाई के लेल बिहार सरकार क' एक सप्ताह केर भीतर हुनका तिहाड जेल हस्तानांतरित करबाक निर्देश देल गेल छल।
ई पुच्छल पर कि दिल्ली ल' जेबाक क्रम मे शहाबुद्दीन क' कुनु विशेष रियायत देल जायत तेँ आनंद किशोर एहीसे इनकार करैत कहला कि हम सभ कोर्ट के निर्देशक अक्षरश: पालन करब आ हुनका 22 फरवरी तक तिहाड़ जेल स्थानांतरित कायल जायत।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।