बिहार कांग्रेस उपाध्यक्ष ब्रजेश पांडेय पर यौनशोषण आओर सेक्स रैकेट चलेबाक केस दर्ज

पटना। 21 फरवरी। बिहार कांग्रेस के उपाध्यक्ष ब्रजेश पांडेय छेड़खानी आओर सेक्स रैकेट चलेबाक आरोप मे घेरा गेल छैथ। हुनका पर एक पीड़िता कोर्ट मे छेड़खानी आओर सेक्स रैकेट चलेबाक आरोप लगौलन्हि अछि। ई खबैर सामना अएबाक बादसे राजनीतिक गलियारा मे हलचल मचल अछि। ओतहि, ब्रजेश पांडेय अंडरग्राउंड बताओल जे रहल छैथ।

एक दैनिक अखबारक मुताबिक कांग्रेस के पूर्व मंत्रीक बेटी के संग  छेड़खानी आओर यौनशोषण केर मामला सामना आयल छल। एहि मामला मे मुख्य आरोपी निखिल प्रियदर्शी, हुनकर संगी संजीत आओर ब्रजेश पांडेय केर नाम सामना आयल अछि। ई सभ मिलके एक हाई प्रोफाइल सेक्स रैकेट केर संचालन करैत छला। 

जांच मे एसआईटी ब्रजेश पांडेय पर सेहो केस क' सही करार देलन्हि अछि। जानकारी केर मुताबिक एसआईटी ब्रजेश पांडेय के रूपसपूर स्थित घर पर छापामारी केलैन्ह मुदा ओ हाथ नहि लागला। एहेन आशंका जाहिर कायल जे रहल अछि कि ओ अंडरग्राउंड भ' गेल छैथ। 

गौरतलब अछि कि ब्रजेश पांडेय बिहार कांग्रेस के कद्दावर नेता छैथ। ब्रजेश पांडेय कहलैन्ह कि एहि मामला मे हुनका लेनदेन नहि छैन्ह। हुनका राजनीतिक साजिशक तहत फंसाओल जे रहल अछि।  ओतहि, एहि मामला मे प्रियदर्शी आओर संजीत फरार बताओल जे रहल अछि। जिनका गिरफ्तार करबाक लेल छापामारी कायल जे रहल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने