नीतीश कुमार केलैन्ह फरक्का बैराज बंद करबाक मांग

पटना। 21 फरवरी। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार फरक्का बैराज बंद करबाक जोरदार मांग केलैन्ह अछि। नीतीश कुमार के कहब छैन्ह कि एहि बैराज के कुनु उपयोगिता नहि अछि आओर ऐहिक कारण सँ हर बरख राज्य मे बाढ़ि आबैत अछि। नीतीश कुमार इलाहाबाद हल्दिया जलमार्ग पर बक्सर आओर उत्तर प्रदेश मे प्रस्तावित जलाशय के सेहो विरोध केलैन्ह।

संवाददाता सभसे बात करैत नीतीश कुमार कहलैन कि हम पिछ्ला  पिछली यूपीए सरकार से पश्चिम बंगाल मे फरक्का बैराज क' बंद करबाक मांग केना छलो। हम प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी से सेहो कहलहुँ कि फरक्का बांध से गंगा नदी मे बहुत गाद जमा भ' रहल अछि आओर ई बिहार मे हर बरख भारी बाढ़िक वजह अछि। 

नीतीश कुमार अप्पन दलील के पक्ष मे कहलैन कि कैको विशेषज्ञ सेहो फरक्का बांधक हानि केर संकेत देलन्हि अछि। एहि बैराज केर निर्माण मे शामिल रहल पश्चिम बंगाल के मूल अभियंता ऐहिक विरेाध केना छला आओर हुनका नौकरी छोड़बाक लेल बाध्य कायल गेल छल। नीतीश कुमार ‘लोक संवाद’ कार्यक्रम के बाद कहलैन कि हम हर मंच पर फरक्का बैराज केर विरुद्ध अप्पन मांग राखने छी, किएक जे ई बैराज गंगा नदी मे गाद जमा क' रहल अछि आओर एहि विशाल नदीक प्रवाह के प्रभावित सेहो करैत अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने