कब्रिस्तानक जमीन लेल 2 समुदाय के बीच हिंसा,पुलिसकर्मी सहित कैको घायल

दरभंगा। 11 फरवरी। हायाघाट प्रखंड अंतर्गत पतोर ओपी क्षेत्र के चंदनपट्टी गाम मे कब्रगाह केर जमीन ल'के ग्रामिण सभक बीच आय भोर तक़रीबन सात बजे भेल झड़प हिंसात्मक रूप ल' लेना छल। जाहिमे दुनु पक्षक दर्जनों लोग घालय बताओल जे रहल अछि। किछ घायल सभके बहादुरपुर पीएससी स्वास्थ्य केन्द्र मे भर्ती कराओल गेलन्हि, किछ के शहर के डीएमसीएच मे भर्ती कराओल गेलन्हि। ई हिंसा गाममे कब्रगाह केर जमीनक घेराबंदी करबा से उतपन्न विवाद से भेल। 

मौका पर एसडीओ गजेन्द्र प्रसाद सिंह, एएसपी दिलनवाज अहमद सहित बहादुरपुर थाना के पूरा टीम भोरे से विवादित स्थल पर कैंप लगेलन्हि अछि। प्राप्त जानकारी केर मुताबिक चंदनपट्टी गामक  चंचल नगर स्थित एक कब्रगाह केर घेराबंदी सँ उतपन्न भेल विवाद के कारण दुनु संमुदाय के बिच कैल्ह शुक्रवारे दिन सँ तनाव व्याप्त छल।

हिंसा मे बीच-बचाब लेल पहुँचल ओपी के प्रभारी संतोष कुमार सेहो उक्त हिंसक झड़प मे घायल भ' गेला। घटनाक लेल एएसपी दिलनवाज अहमद कहला कि एकहि समुदाय के सीया व सुन्नी के बीच उक्त कर्बला के जमीन लेल पहिने से विवाद चलैत छल। जाहिक लेल आय भोरे हिंसक घटना भेल। हिंसा करबाक आरोप मे 2 दर्जन लोग सभके विरूद्ध प्राथमिकी दर्ज कायल गेल अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने