राष्ट्रीय लोक अदालत केर उद्घाटन

पूर्णिया। 11 फरवरी। पूर्णिया व्यवहार न्यायालय मे आय शनिवार दिन राष्ट्रीय लोक अदालत केर उद्धाटन डिस्ट्रीक्ट जज गोपाल कृष्ण द्विवेदी दीप प्रज्वलित करि केलैन्ह। 

एहि मौका पर लोग सभके संबोधित करैत जिला आर सत्र न्यायाधीश गोपाल कृष्ण द्विवेदी कहलनि कि राष्ट्रीय लोक अदालत लोग सभक जीवन  स्तर ऊंच उठेबाक सुनहरा मौका दैत अछि। कार्यक्रम के शुरुआत दिन के 1 बजे व्यवहार न्यायालय के बेंच नम्बर 8 मे सी जे एम अवदेश कुमार,सब जज होसला प्रसाद त्रिपाठी एवं ज्यूडिशियल मेजिस्ट्रेट पी के अग्निहोत्री केर उपस्थिति मे कायल गेल। आयोजित राष्ट्रीय लोक अदालत मे बैंक ऋण, परिवारवाद, बिजली बिल, टेलीकाॅम बिल, दावा वाद, श्रम विभाग, नगर निगम व नगर पंचायत सभसँ  संबधित मामला, नाप-तौल, भू -अर्जन सहित कैको आन मामला केर निपटारा कायल जायत अछि। 

राष्ट्रीय लोक अदालत केर उद्देश्य अछि आपसी सहमति से मामलाक निपटारा करब। डिस्ट्रीक्ट जज कहला कि लोग सभके लोक अदालत से समय के साथ विवाद सभक निपटारा भेला से जीवन मे आगू बढ़बाक मौक़ा भेटतैन्ह।लोक अदालत से लोग सभक संगे - संग क्षेत्र, राज्य आर  देश क' सेहो विकासक गति भेटैत अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने