इंडियन एयर फोर्स नाकाम कएलन्हि आतंकी हमलाक साजिश

बेंगलुरु। 07 फरवरी। इंडियन एयर फोर्स के सुरक्षा अधिकारि सभ शनिवार दिन बेंगलुरु पर आतंकी हमलाक बड़का साजिश क' नाकाम क' देलन्हि। अधिकारि सभ अगला सप्ताह एहिठाम आयोजित होमै बला 'ऐरो इंडिया कार्यक्रम' से पहिने संदिग्ध युवक क' पकड़लैन्ह। हिरासत मे लेल गेल संदिग्ध केर जांच कायल जे रहल अछि। 

ऐता के एयर फोर्स स्टेशन येलाहान्का (AFSY) मे वेल्डिंगक काज करै बला 24 साल के ममनून क' परिसर मे संदिग्ध रुप से टहलैत घरी हिरासत मे लेल गेल। सुरक्षा अधिकारि सभ द्वारा संदिग्ध के मोबाइल फोनक तलाशी लेला पर ओहिमे से एयर बेस के प्रतिबंधित एरियाक मैप  के संगे फोन कॉल डिटेल्स मे सउदी अरब मे कैको बेर बात करबाक जानकारी सेहो सामना आयल। गिरफ्तार संदिग्ध लग से 9 सिम कार्ड सेहो  बरामद कायल गेल अछि। एहि सब कारण से अधिकारी सभ गिरफ्तार युवक के आतंकी योजना बनेबाक तौर से  देख रहल अछि। संदिग्ध यूपी के बुलंदशहर के रहिवासी बताओल जे रहल अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने