बिहार आएब रहल 59 केंद्रीय अर्धसैनिक बल (CRPF) जवान ट्रेन से लापता

पटना। 06 फरवरी। केंद्रीय अर्धसैनिक बल (CRPF) सँ जुड़ल एक चौकाबाई बला खबैर सामना आयल अछि। सीआरपीएफ सूत्र केर मुताबिक़ जम्मू-सियालदह एक्सप्रेस से गया मे तैनाती लेल आएब रहल 205 कोबरा बटालियन के 59 ट्रेनी जवान लापता बताओल जे रहल अछि। 

ओनाकि  एक आन सूत्र केर मुताबिक़ सभ 59 जवान सामूहिक रूपे सेना छोईड़ देलन्हि अछि। ई खुलासा ओहि जवान सभक संग सफ़र क' रहल  जीडी (हेड कांस्टेबल) विजय सिंह केलन्हि अछि।  विजय सिंह बतौलन्हि  कि सभ जवान कमांडो मुगलसराय रेलवे स्टेशन पर उतैर देखते-देखते फरार भ' गेला। ओ सभ बोगी मे अप्पन कपड़ा छीर छोईड़ गेला। 

एम्हर सीआरपीएफ सूत्र कहलनि कि फरार जवान सभक ट्रेनिंग रीजनल ट्रेनिंग सेंटर, श्रीनगर मे भेल छल।  ट्रेनी जवान के एहि तरहे भागवा पर सजा के तौर पर एक महीना केर तनखा काटल जायत। हाल मे एक के बाद एक  सेना से ल'के अर्धसैनिक बल केर जवान सभक कथित उत्पीड़न केर  खबर सामना अएलाक बाद आब सीआरपीएफ जवान सभ एहि तरह लापता भ' अपना पाछा कैको सवाल ठाढ़ क' रहल छैथ। 

फरार जवान सभक सूचि एहि प्रकारे अछि;

मनीष कुमार, 2. नागेन्द्र कुमार, 3. सत्येंद्र कुमार, 4. मुकेश कुमार, 5. अजय कुमार, 6. रवीश कुमार, 7. संदीप कुमार, 8. रंजीत कुमार, 9. सुभाष कुमार, 10 लालू कुमार, 11. नवीन कुमार, 12. आलोक अभिषेक,
13. सत्येंद्र कुमार,14. अमित कुमार, 15. विमलेश कुमार, 16. दिगंबर सिंह, 17. प्रकाश मंडल, 18. चंदन कुमार, 19. मनीष कुमार, 20. संजीत कुमार, 21. अभिषेक कुमार, 22. जितेंद्र कुमार, 23. गौरी शंकर कुमार,24. विवेक कुमार, 25 संतोष कुमारगुप्ता, 26. सोनू कुमार सिंह, 27. राज किशोर कुमार,28. राज कुमार राय, 29. ओम प्रकाश यादव, 30 प्रकाश चंद, 31. जितेंद्र कुमार, 32. गुड्डू कुमार, 33. सुनील कुमार शर्मा, 34. प्रेम कुमार, 35. जी.डी. राजकुमार कुमार विद्यार्थी, 36. संजय यादव, 37. राकेश कुमार, 38. राजू कुमार, 39. प्रमोद कुमार, 40. प्रदीप कुमार, 41. राकेश कुमार, 42. दीपक कुमार, 43. सुनील कुमार, 44. अजीत कुमार, 45. मोहम्मद एजाज अहमद अंसारी, 46. ​​मिथुन कुमार गोस्वामी, 47. पवन कुमार, 48. मंजीत कुमार, 49. कमलेश कुमार, 50. रविशंकर कुमार, 51. जय किशोर, 52. मंटू कुमार, 53. जितेंद्र कुमार, 54. अनिल कुमार, 55. सतीश कुमार चौधरी, 56. आलोक कुमार भारती, 57. रणवीर सिंह, 58. रूपेश कुमार, 59. धर्मेंद्र कुमार.

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने